मैथिलीसेवी कुमरकांत झा कें पत्नीशोक


कलकत्ता : कर्णामृतक अाजीवन सदस्य, अनेकानेक सामाजिक संस्था सं जुड़ित राघोपुर-बलाट (मधुबनी) निवासी सुपरिचित मैथिलीसेवी कुमरकांत झाक धर्मपत्नी विभा झा कें हृदयगति रुकि गेलाक कारणें 11 जून 2016 कें कोलकाता स्थित लेकरोड अावास पर असामयिक निधन भ' गेलनि. ओ धर्मपरायण महिला मात्र 49 बरखक अायु मे अपन भरल-पूरल परिवार छोड़ि गेलीह अछि.

उक्त अवसर पर उपस्थित कोकिल मंच कोलकाताक नबोनारायण मिश्र दिबंगत अात्माक शांतिक कामना करैत हुनक शोकाकुल परिवारक प्रति संवेदना प्रकट केलनि.

Advertisement