वीरेन्द्र मल्लिकक सम्मान मे जुटलाह मैथिलीसेवी


कलकत्ता: वरिष्ठ कवि वीरेन्द्र मल्लिकक सम्मान मे एक कार्यक्रम अायोजित भेल. पछिला रविदिन माने बारह जूनकेँ कलकतिया मैथिल साहित्यकार आ साहित्यप्रेमी पैघ संख्या मे वरिष्ठ कवि वीरेन्द्र मल्लिकक संतोषपुर स्थित निवासस्थान पर जुटलाह.

लगभग छह दशक सं कलकत्ता रहैत भाषासेवा मे लागल वीरेन्द्र मल्लिक किछु समय सं दिल्ली रहैत छथि कलकत्ता स्थायी रूपें नहि रहताह जानि साहित्यिक लोकनि हुनक अावास पर जुटि एहि छह दशकक क्रियाकलाप ओ वीरेन्द्र मल्लिकक भूमिका पर चर्च केलनि.

एहि अवसर पर राजनंदनलाल दास, रामलोचन ठाकुर, नवीन चौधरी, विद्यानंद झा, अशोक झा, लक्ष्मण झा सागर, बिनय भूषण, मिथिलेश कुमार झा सहित सभ खाढ़ीक मैथिली साहित्यकार लोकनि जुटल छलाह. नवीन चौधरीक अध्यक्षता मे एक कवि गोष्ठी सेहो अायोजित भेल. 

फोटो: साभार विद्यानंद झा 
Previous Post Next Post