राष्ट्रपति द्वारा पुरस्कृत भेल 'मिथिला मखान'


नवदिल्ली: मैथिली भाखा देशक बड़ मजगूत भाखा छै. ओहिना जेना हिन्दी, अंगरेजी, नेपाली, बंगाली छै. एक्को रत्ती उनइस नै छै एहि सभ सं...कइएक मामिला मे एकरा सभ सं एकइसे छै मैथिली. बस दरकार छै भाखा मे मजगूती सं काज करबाक. साहित्य मे मैथिली जे उत्कर्ष पओलक से सिनेमा मे सेहो पाबि सकैत अछि, एकर नीक उदाहरण अछि फिल्म 'मिथिला मखान'. 

नितिन चंद्रा निर्देशित ई फिल्म राष्ट्रीय पुरस्कार पओलक अछि. दिल्लीक विज्ञान भवन मे आयोजित 63म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार वितरण समारोह मे राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी हाथ सं पुरस्कार देल गेल. अवसर पर केन्द्रीय सूचना एवं प्रसारण सह वित्त मंत्री अरूण जेटली आ केन्द्रीय सूचना एवं प्रसारण राज्य मंत्री रि. कर्नल राज्यवर्धन सिंह राठौर सेहो उपस्थित छलाह. राष्ट्रपति मिथिला मखान सिनेमाक सह निर्माता समीरकें सेहों पाग पहिरा आ रजत कमल सं सम्मानित केलाह. निर्माता नितू चंद्राक ई फिल्म  क्रांति प्रकाश झा, अनुरिता झा, पंकज झा आदि कलाकार सं सजल अछि. पुरस्कार ग्रहण काल नितिन चंद्रा मिथिला परिधान मे छलाह जे सभक धियान आकृष्ट केलक.


Previous Post Next Post