महाकांत ठाकुर कें 'मैथिलीसेवी सम्मान'


मधुबनी: जानकी नवमी पर देशभरि मे ठाम-ठाम विविध आयोजन भेल अछि. मिथिला मे एकरे मैथिली दिवसक रूप मे मनाओल गेल. कतेको ठाम जानकीक प्रतिमा सहित पूजन कएल गेल त' भाषाप्रेमी लोकनि एकरा साहित्यिक आयोजनक संग मनओलनि.

एहि अवसर पर रत्नेश्वर झा केर संयोजन मे परजुआरि मे कविगोष्ठीक आयोजन कएल गेल. प्रो प्रीतम कुमार निषाद केर अध्यक्षता मे आयोजित कविगोष्ठी मे मुख्य अतिथि चंदनकुमार झा सहित महाकांत ठाकुर, डॉ. रानी झा, पंकज सत्यम, वशिष्ट कुमार झा, मैथिल प्रशांत, प्रो. शुभकुमार वरनवाल, डॉ. प्रजापति ठाकुर, दयाशंकर मिथिलांचली  सहित अनेक लोक भाग लेलनि.  संचालन दिलीप कुमार झा केलनि.

मैथिली भाषा मे लेखन सहित विविध क्रियाकलाप मे उत्कृष्ट काज केनिहार भाषाकर्मी कें 'मैथिलीसेवी सम्मान' देल जेबाक घोषणा समिति दिस सं भेल. पहिल खेप उक्त सम्मान मैथिली सेवी महाकांत ठाकुर कें देल गेलनि.   
Previous Post Next Post