मैथिली साधिका डॉ. अणिमा सिंह केर निधन

पौत्र क संग अणिमा सिंह (बाम)                     चित्र साभार : उदय नारायण सिंह 'नचिकेता' (मार्फ़त फेसबुक) 
कलकत्ता : मैथिली साधिका डॉ. अणिमा सिंह केर निधन आइ दिनक 10.40 बजे हुनक आवास पर भ' गेलनि. 'मिथिला दर्शन'क अधिष्ठाता संपादक डॉ. सिंह 92 बरखक छलीह आ किछु मास सं बेमार चलि रहल छलीह.  हिनक निधन सं मैथिलीनेही लोकनि मर्माहत छथि. 

कोकिल मंचक नबोनारायण मिश्र मिथिमीडिया कें जनओलनि जे डॉ. अणिमा सिंह केर निधन अपूरणीय क्षति अछि. कवि मिथिलेश कुमार झा अणिमा सिंह केर अंतिम दर्शन केलाक उपरांत मिथिमीडिया कें शोक व्यक्त करैत कहलनि जे मैथिली मे मिथिला दर्शन केर योगदान बेस महत्वपूर्ण छै आ प्रबोध बाबू, अणिमा सिंह परिवार  मैथिली कें ल' समर्पित रहल अछि.
Previous Post Next Post