आब नोट पर अंकित होएत मैथिली!


नवदिल्ली : मैथिलीभाषी लोकनि लेल खुशखबरी छै जे आब ई भाषा भारतीय नोट पर अंकित कएल जाएत.  भाषाक आठम अनुसूचि मे स्थान भेटलाक बादे सं एकर मांग उठि रहल छलै. प्रधानमंत्री कार्यालय द्वारा रिजर्व बैंक कें एहि विषयक निर्देश देल गेल अछि. मैथिली सहित डोगरी, बोडो, संथाली कें सेहो नोट पर स्थान भेटत. 

मैथिली एक्टिविस्ट सुभाष चौधरीक लगातार देल पत्र सं पीएमओ एहि विषयक निर्देश जारी केलक अछि. चौधरी मैथिली कें तिरहुता लिपि मे भारतीय नोट पर अंकित करबाक बात उल्लिखित केने छथि. 
Previous Post Next Post