कोकिल मंचक 26म वार्षिकोत्सव रवि कें

कलकत्ता : आगामी रवि मने 13 मार्च 2016 कें 5.30 बजे सांझ सं कोकिल मंच 26म वार्षिकोत्सव पर 36म नाटक करय जा रहल अछि. वैज्ञानिक आ साहित्यकार डॉ. योगेन्द्र पाठक वियोगी लिखित नाटक 'रंग-भंग' केर निर्देशन करताह मंचक निर्देशक गंगा झा.

एही अवसर पर कवि लोकनि 'फगुआ ठहक्का' मे रंग जमओताह. माने फुल एंटरटेनमेंट. कलाकुंज (कलामंदिर) मे आयोजित ई कार्यक्रम मे प्रवेश निर्बाध अछि.  

ज्ञात हो जे वियोगी लिखित दोसर नाटकक मंचन होमए जा रहल अछि, जाहि मे रंगमंच ओ सिनेमाक नामी कलाकार लोकनि भाग ल' रहल छथि.

एकर संगहि कोकिल मंचक वार्षिक कार्यक्रम 'फगुआ ठहक्का' नाटकक संगे राखल गेल अछि. एहि मे मैथिलीक लोकप्रिय कवि लोकनि कविता प्रस्तुत करताह. नाटक आ फगुआ ठहक्का कें एकसंग केने सम्पूर्ण  अनुपम होएबाक आस अछि.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post