मनाओल गेल ललित बाबूक जयंती


नव दिल्ली : देशक राजधानी मे पहिल खेप 'मिथिलालोक'क तत्वावधान मे पूर्व रेल मंत्री स्व: ललित नारायण मिश्रक जयंती मनाओल गेल. एहि अवसर पर 'मिथिलालोक'क अध्यक्ष डा. बीरबल झा स्व: मिश्रक चित्र पर पुष्प अर्पित करैत हुनका द्वारा मिथिला लेल कएल गेल काज कें मोन पाड़लनि. डा. झा कहलनि जे समाज मे विशेष योगदान देनिहार व्यक्ति सभ कें अवश्य मोन राखी, जाहि सं नव पीढी कें प्रेरणा भेटैक.

कार्यक्रमक मुख्य अतिथि प्रो. अनिल मिश्र अपन संबोधन मे कहलनि जे मिथिलाक सांस्कृतिक धरोहरक रक्षा करब हमरा सबहक कर्तव्य अछि. पाग बचाओ अभियान पर सेहो इजोत देल गेल. पाग बचाओ अभियान "मिथिलालोक" केर एक विशेष कार्यक्रम अछि. 

एहि अवसर पर मिथिलाक प्रसिद्ध गायक विकास झा 'आउ सभ मिथिला के पाग पहिरी, आउ सभ मिलि'क मिथिला के समान बढ़ाबी' गीत गाबि सभ कें मंत्रमुग्ध क' देलनि. 'मिथिला गृह उद्योग'क अमरनाथ मिश्र अपन मिथिलाक पारंपरिक ब्यंजन सं लोगो लोकक मुँह मिठ करओलनि. कार्यक्रमक समापन संयोजक सुधीर कुमार झा एवं श्री गंगा नारायण झा केलनि.
Previous Post Next Post