वीएमवाइएम मनौलक चौदहम सरस्वती पूजनोत्सव


नव दिल्ली : विद्यापति मैथिल युवा मंच विनोद नगर दिल्ली मे चौदहम माँ सरस्वती पूजा महोत्सव बेस धूमधाम सं मनौलक. एहि अवसर पर पूजन सहित छात्र-छात्रा लेल प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, नृत्य ओ संगीत प्रतियोगिताक आयोजन भेल. कार्यक्रम मे लगभग एक हजार नेना भाग लेने छल जे स्वतः विराट आयोजनक भान करबैत अछि. पूजनक अवसर पर स्मारिका ओ कैलेण्डर विमोचित भेल. 


रमेश मल्लिक एंड म्यूजिकल ग्रुप द्वारा सांस्कृतिक संध्याक आयोजन भेल, जाहि मे पुष्पा झा, अनुश्री मिश्र, राजीव रंजन झा, अमरेश मल्लिक आदि कलाकार लोकनि प्रस्तुति देलनि. मंच संचालन कवि-गीतकार मनीष झा 'बौआभाइ' केलनि. एहि अवसर पर प्रतियोगी छात्र/छात्रा सहित अतिथि लोकनिक सम्मान कएल गेल. 


मनीष सिसोदिया (उप-मुख्यमंत्री,दिल्ली सरकार), संजीव झा (विधायक, बुराड़ी,दिल्ली), सरिता मिश्रा (पत्नी-जीवेश मिश्र,विधायक,जाले-दरभंगा), सुशील सिंह (आप के बिहार प्रदेश प्रभारी), निशिकांत ठाकुर (वरिष्ठ पत्रकार आ सम्पादक, शुक्लपक्ष), पूनम झा आजाद (वरिष्ठ सदस्य दिल्ली प्रदेश भाजपा), डॉ. बी. के.झा (चिकित्सक आ समाजसेवी) , अनिल कुमार झा (पूर्व उद्योग मंत्री, नेपाल सरकार), राजीव झा (जेनरल सेक्रेटरी, नेपाल सद्भावना पार्टी), डॉ. बीरबल झा (प्रबंध निदेशक, ब्रिटिश लिंगुआ), सी.ए. हंसराज चुग, सी.ए. गोपाल केडिया, सी.ए. नितिन कँवर, बी. के. शर्मा, ज्ञान चन्द सिंघल, प्रकाश झा (निदेशक,मैलोरंग), मुकेश झा (रेपर्टरी चीफ,मैलोरंग), शुभ नारायण झा (वरिष्ठ अभिनेता फिल्म एवं रंगमंच) आदि लब्धप्रतिष्ठित लोकनिक सम्मान संस्था द्वारा भेल. अतिथि लोकनि कें पाग,डोपटा,संस्थाक स्मृति चिन्ह,स्मारिका ओ कैलेण्डर देल गेलनि.


मैथिल अभियानी नीरज पाठक, रमानाथ झा, अखिलेश झा, विमल जी मिश्र, हेमन्त झा, अमरनाथ झा, संतोष राठौर, संजय झा नागदह, शरत झा, कमलेश मिश्र, सोनू मिश्र, राहुल राय, विभय कुमार झा, रौशन कुमार झा, सुनील शानू , काशी मिश्र , मुकेश मिश्र, अमरनाथ मिश्र, मुकुन्द मयंक आदि लोकनि उपस्थित भेलाह. 

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post