मातृभाषा दिवस पर आएल 'नमरी लुच्चा'


बम्बइ: मैथिली संगीतक विराट क्षेत्र रहल अछि आ एक पावन परम्परा सेहो. मुदा एम्हर आबि क' आन भाषा-भाषी गीत-संगीतक देखा-देखी मैथिली मे फुहड़ता आबि गेलै आ धड़ल्ले अश्लील गीत-वीडियो बनि रहल अछि. एहि सभ कें देखैत फिल्म-संगीत क्षेत्रक किछु मैथिल युवा लोकनि एक म्यूजिक वीडियो अनलनि अछि. 


ई अत्याधुनिक वीडियो विकास झा केर निर्देशन मे आएल अछि. गीत-संगीत प्रवेश मल्लिक केर छनि. स्वर छनि प्रेम प्रकाश कर्ण केर. बेसी सं बेसी संख्या मे एहि वीडियो कें देखी.
Previous Post Next Post