मैथिली सिनेमा 'मिथिला मखान' केर ट्रेलर लांच


बंबइ/कलकत्ता : मैथिली सिनेमाक नबका भोर, नबका साल मे नबका उपहार 'मिथिला मखान' केर ट्रेलरक रूप मे सोझा आएल अछि. ई पहिल मैथिली फिल्म अछि जे यूएस, कनाडा, भारत तथा नेपाल मे शूट कएल गेल अछि. क्रांति प्रकाश झा, अनुरिता झा अभिनीत ई फिल्म मैथिली सिनेमा कें सोझे अंतर्राष्ट्रीय क्षितिज पर ल' गेल अछि.

कथानक, अभिनय, भाषा आ तकनीक सभ लिहाज सं फिल्म बहुत नीक अछि, जे ट्रेलर देखि क' बुझना जा रहल अछि. मैथिलीक नामचीन कलाकार प्रेमलता मिश्र 'प्रेम' सहित पंकज झा केर अभिनय फिल्म कें चारि चान लगओने अछि.

ट्रेलर देखबाक लेल क्लिक करी >>
Previous Post Next Post