बुद्धिनाथ बाबूक 'अक्षर निर्झर' विमोचित


हैदराबाद : मैथिलीक मंचीय परम्पराक फेमस उद्घोषक, स्वनामधन्य कवि-साहित्यकार बुद्धिनाथ झाक मैथिली काव्य-संग्रह  'अक्षर-निर्झर' केर विमोचन 'देसिल बयना'क संस्थापक/संयोजक दयानाथ झा आ मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, हैदराबादक अध्यक्ष आलोक कुमार झाक द्वारा  दिनाँक ८/१२/२०१५ केँ हैदराबाद मे उपस्थित साहित्यानुरागी सभक समक्ष संपन्न भेल.

अहि कार्यक्रमक संचालन करैत क्रिएटिव कैंपस प्रकाशनक संस्थापक मोहन मुरारी झा अपन सम्बोधन मे एकरा  एकटा ऐतिहासिक क्षण कहैत बजला जेँ आम लेखकक लेल पोथी प्रकाशनक असुविधाकेँ देखैत 'क्रिएटिव कैंपस प्रकाशन'क स्थापना प्रायः 6 मास पूर्व केने छलाह. आइ बुद्धिनाथ झाक कविता संग्रह 'अक्षर निर्झर'क हैदराबाद मे लोकार्पणक संग 'क्रिएटिव कैंपस' प्रकाशन सँ पहिल पोथी प्रकाशित करबाक हुनका सौभाग्य प्राप्त भेलनि अछि.


युवा साहित्यकार आ 'प्रवासी' पत्रिकाक संपादक विनय कुमार झा हुनक काव्यक विशेषता पर प्रकाश देइत कहलनि जे हिनक काव्य मे विद्यापतिक व्यंजना आ अपन बयनाक सौंदर्य प्रस्फुटित होयत अछि  जेँ पाठक केँ जिनगीक सब अपरूप सँ अवगत करबैत ओहि मझधार मे एसगर नहि छोड़ि पुनः संभावनाक लोक मे झीकि अनैत अछि.

कवि बुद्धिनाथ झा प्रकाशित पोथीक दू टा रचना पाठ क' समस्त श्रोतालोकनि केँ मुग्ध कयलन्हि. कार्यक्रम मे उपरोक्त महानुभाव सभहक अतिरिक्त देसिल बयनाक अध्य्क्ष चंद्रमोहन कर्ण, महासचिव आ चर्चित युवा साहित्यकार मनोज शांडिल्य, विकास कुमार झा, शारदा झा, मीनाक्षी चौधरी आदि साहित्यप्रेमी लोकनिक उपस्थिति रहलनि.  

रिपोर्ट : विकाश झा
Previous Post Next Post