'मिथिला मखान'क ट्रेलर पहिल जनवरी कें


मैथिलीक बहुप्रतीक्षित फिल्म 'मिथिला मखान'क पहिल ट्रेलर पहिल जनवरी कें लांच होमय जा रहल अछि. फिल्मक निर्माता-निर्देशक नितिन चंद्राक अनुसार ट्रेलर एक जनवरी कें भोरे 9 बजे लांच कएल जाएत. यूट्यूब पर दर्शक ट्रेलर देखि सकताह.


ई पहिल मैथिली फिल्म अछि जे यूएस, कनाडा, भारत तथा नेपाल मे शूट कएल गेल अछि. क्रांति प्रकाश झा, अनुरिता झा अभिनीत ई फिल्म मैथिली सिनेमा कें नव दिशा देत, एहन विश्वास जताओल जा रहल अछि.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post