जानकी सेवा संघ द्वारा 'मैथिली दिवस'क आयोजन संपन्न

कलकत्ता : जानकी सेवा संघ द्वारा 'मैथिली दिवस'क आयोजन कोन्नगर मे बीतल रवि मने 27 दिसंबर कें भेल. विद्यापति लेन मे आयोजित कार्यक्रम मे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर, नवीन चौधरी, प्रफुल्ल कोलख्यान, मैथिली आन्दोलनी कमलेश झा आ डा. विद्यानाथ झा अपन वक्तव्य रखलनि. मैथिली कें संविधान मे स्थान भेटबाक उपलक्ष्य मे विगत कएक साल सं मैथिली दिवसक आयोजन होइत आबि रहल अछि. भाषा कें समर्पित कार्यक्रमक संग अष्टजाम सेहो आयोजित होइत अछि.

कार्यक्रमक संचालन रंजीत कुमार झा 'पप्पू' क' रहल छलाह जिनका एहि अवसर पर सम्मानित सेहो कएल गेलनि. अवसर पर संस्थाक अध्यक्ष राजकुमार झा सहित समाजसेवी युगल किशोर झा, रत्नेश्वर झा, उमाकान्त झा 'बक्सी' आदि लोकनि उपस्थित छलाह.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post