सत्यार्थी केलनि मैथिलीक 'रोमियो जूलियट'क विमोचन


झुंझूनू (राजस्थान): सेक्सपियर केर महान कृति रोमियो जूलियट केर मैथिली अनुवाद केलनि अछि युवा साहित्यिक मनोहर कुमार झा. एकर विमोचन नोबल पुरस्कार विजेता ओ 'बचपन बचाओ आन्दोलन' केर प्रणेता कैलाश सत्यार्थी द्वारा कएल गेल. 

बेस लोकप्रिय अंग्रेजी नाटक केर मैथिली अनुवाद बेस चर्चा मे अछि. कलकत्ता प्रेसीडेंसी कॉलेजक छात्र रहल मनोहर कुमार झा केर ई अनुवाद मैथिली पाठक मध्य एहि अमर प्रेम कहानी कें फेर सं टटका क' देलक अछि. मिथिमीडिया दिस सं हिनका बधाइ!

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post