प्रेरणा देइत रहताह देवीशंकर : रामलोचन ठाकुर


कलकत्ता : युवा मैथिल एक्टिविस्ट देवीशंकर मिश्र केर निधन सं मर्माहत समुदाय बीतल रवि कें स्थानीय विद्यापति विद्यामंदिर मे शोकसभा आयोजित केलक. एहि मे महानगर कार्यकर्ता लोकनि जुटलाह आ दिवंगत मिश्रक प्रति श्रद्धा प्रकट केलनि. 

मिथिला सांस्कृतिक परिषद्क देवीशंकर बहुतो साहित्य प्रकाशन, सांस्कृतिक कार्यक्रम आ जन सरोकारी काज कें आगू बढ़ओलनि आ सतत लागल रहलाह. मिथिला-मैथिलीक प्रति हुनक समर्पण अनुकरणीय अछि. दुर्भाग्य जे एहन निस्सन कार्यकर्ता हमरा सबहक मध्य सं चल गेलाह. हुनक काज कें आगू बढायबटा सही श्रद्धांजलि हेतनि.

उक्त बात वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर शोकसभा मे कहलनि. उपस्थित मैथिल जन सभ सेहो अपन-अपन विचार प्रकट केलनि. नवीन चौधरी, अशोक चौधरी, मिथिलेश कुमार झा, दयाशंकर मिश्र, अनमोल झा, आमोद कुमार झा, बिनय भूषण, विजय इस्सर, गंगा झा, नबोनारायण मिश्र, किरण झा, अरुण कुमार सिंह, लखनपति झा सहित महानगरक अनेक मैथिल कार्यकर्ता लोकनि उपस्थित भ' अपन श्रद्धा प्रकट केलनि.

ज्ञात हो जे देवीशंकर मिश्रक निधन विगत 30 अगस्त कें कलकत्ता मे भेल छलनि. वयोवृद्ध मैथिल सेनानी किशोरीकांत मिश्र [गोपीपट्टी ढढिया (कमतौल, दरभंगा)] केर माझिल बालक देबीशंकर मिथिला सांस्कृतिक परिषद् केर क्रियाकलापक एकमात्र एक्टिव फेस छलाह. 

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post