रिषड़ा मे 29कें मैथिली नाटक ‘ रक्त’!


कलकत्ता/हुगली : अपन 33म वार्षिकोत्सवक शुभ अवसर पर मिथिला कल्याण परिषद, रिषड़ा आगामी 29 नवम्बर 2015 (रविदिन) कें सायं 4 बजे सँ आदित्य बिरला वाणी भारती विधालय केर प्रांगण मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह आयोजित क' रहल अछि. कार्यक्रमक उद्घाटन एस. के. कृष्णा मूर्ति , सी. ई. ओ., जयश्री टेक्सटाइल्स करताह. एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता जीबेन्द्र मिश्रा जी करताह. प्रधान अतिथिक रूप मे संदीप भट्टाचार्या, मुख्य अतिथिक रूप मे विनोद कुमार राय आ प्रधान वक्ता भास्कर झा मंचासीन रहताह. एहि अवसर पर प्रख्यात नाटयकार डा. अरविंद अक्कु द्वारा लिखल मैथिली  नाटक "रक्त" केर मंचन कयल जायत.  

सामाजिक, सामुदायिक आ साम्प्रदायिक समस्या पर आधारित ई नाटक आदित्य बिरला वाणी भारती विधालय केर प्रांगण मे संध्या चारि बजे सं युवा रंगकर्मी आ नाट्य निर्देशक  रंजीत कुमार झा केर निर्देशन मे मंचित होयत. रंजीत जी भवनाथ झा जी आ गंगा झा जीक सहयोग सँ पूर्वमे क्रमशः लोढ़ानाथ, उपनयनक भोज, काठक लोक इत्यादिक निर्देशन क’ चुकल छैथ. रंजीत जी ओना त’ कएक गोट नाटकमे मुख्य अभिनेताक रुपमें अपन अभिनय क्षमताक उत्कृष्ट प्रदर्शन क’ चुकल छैथ  मुदा रिषरामे हुनक ई पहिल नाट्य अभिनय होयत. मुख्य भूमिकामे छैथ रंजीत कुमार झा, सुमन कुमार झा, राजकुमार झा, रंजन झा, रौशन झा, संतोष झा, प्रदीप झा, अमन कुमार झा, माला मुखर्जी, असिम बरुआ.  स्मरणीय अछि जे मिथिला कल्याण परिषद विगत 32 साल सँ रिषरा में नाटकक मंचन करैत आबि रहल अछि. 

महत्वपूर्ण बात ई अछि जे आदित्य बिड़ला ग्रूप केर एकटा यूनिट रिषड़ा स्थित जयश्री टेक्सटाइल्स मिथिला-मैथिलीक उत्थान हेतु प्रतिबद्ध अछि आ आयोजन पर होमयबला आर्थिक व्यय वहन क' रहल अछि. पूर्वमे मिथिला कल्याण परिषद, रिषड़ाक तत्वावधानमे प्रख्यात नाट्य निर्देशक-अभिनेता दयानाथ झा केर निर्देशनमे कएकटा मैथिली नाटकक सफ़ल मंचन भ' चुकल अछि आ हुनक अनुज नाट्य निर्देशक-अभिनेता भवनाथजी केर सतत सहयोग उल्लेखनीय अछि आ एहि समग्र कार्यक्रमक संयोजक, उदघोषक आ प्रमुख सलाहकार  भवनाथ झाजीए छैथ.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post