बैद्यनाथ झाक निधन सं कार्यकर्ता मे शोक

कलकत्ता/मधुबनी : मिथिला-मैथिली कार्यकर्ताक मध्य बैद्यनाथ झाक निधनक खबरि सं शोक व्याप्त अछि. अखिल भारतीय मिथिला संघ सं जुड़ल रहल झा भाषा उन्नयन लेल कतिपय महत्वपूर्ण प्रयास केने छलाह. मैथिली पोथीक समुचित प्रसार कें ल' ओ प्रयास केलनि. कलकतिया मैथिल कार्यकर्ताक पुरना तोजीक बैद्यानाथ झा डुमरा गामक निवासी छलाह. कलकत्ता प्रवास मे ओ बाबू साहेब चौधरी, बाबू प्रबोध नारायण सिंह आदिक संग एक्टिविटी मे लागल रहैत छलाह.

हुनक निधन पर रंगकर्मी ओ साहित्यकार नबोनारायण मिश्र श्रद्धांजलि जनबैत कहलनि जे 1 अक्टूबर कें ओ गामहि मे देहत्याग केलनि. हिनका लोकनिक प्रेरणा सं कतेको कार्यकर्ता तैयार भेल छल. हिनक निधन सं कोकिल मंच परिवार मर्माहत अछि. बैद्यनाथ बाबू (85)अपना पाछाँ भरल-पूरल परिवार छोड़ि गेलाह अछि. 
Previous Post Next Post