The Voice India : परम्परा रहलीह तेसर स्थान पर


बम्बइ : सिंगिंग रियलिटी शो द वॉयस इंडिया केर फाइनल मे पहुंचल एकमात्र फीमेल आर्टिस्ट परम्परा ठाकुर तेसर स्थान पर रहलीह. अपन प्रतिभाक बल पर शो मे अंत धरि बनल रहयबाली परम्परा मशहूर मैथिली गीतकार रबीन्द्रनाथ ठाकुर केर पौत्री थिकीह. सोशल साइट पर मैथिल मध्य जबरदस्त भोट अपील केर बादो ई तेसर स्थान पर रहलीह. एहि कें बाद बधाइ संदेशक दौर शुरू भ' गेल. परम्पराक पीसी ओ साहित्यिक सारिका ठाकुर लिखैत छथि जे परम्परा अपना सभक लेल विजेता अछि. भोट देबाक लेल सभ कें धन्यवाद. 

रियलिटी शो सभ मे मैथिल प्रतिभा सभ अबैत रहैए मुदा पहिल खेप भोटिंग अपील एहि तरहक देखबा मे आएल. मैथिल एकजुटताक मिसाले अछि जे परम्परा ठाकुर स्वयं कहियो ने अपील केलनि मैथिली मे, वा एको लाइन मैथिली नै गेलीह मुदा फेसबुक सहित मोबाइल संदेशक माध्यम सं कैम्पेन चलाओल गेल. एतेक त' पक्के अछि जे भोटिंग अपन काज केलक अछि जे परम्परा तेसर स्थान सुरक्षित क' सकलीह. ओना परम्पराक सिंगिंग टैलेंट सेहो विलक्षण अछि. मिथिमीडिया दिस सं एहि प्रतिभाक उज्ज्वल भविष्यक कामना आ बधाइ!
Previous Post Next Post