Let's Talk : धुरझार अंग्रेजी बजबाक ट्रेनिंग


मधुबनी : अंग्रेजी बाजब स्मार्टनेस केर पहिल शर्त भेल जा रहल छै. बिनु अंग्रेजी सिखने आगू बढब असंभव भेल छै आ बिहार मे अंग्रेजी  शिक्षाक स्थिति ककरा नै बुझल छै? एकटा अंग्रेजी स्पीकिंग ट्रेनिंग इंस्टिट्यूट केर खगता मधुबनी मे भुझ्ना रहल छल आ से पूरा भ' रहल अछि लेट्स टॉक सं. एहि संस्थानक माध्यम सं धुरझार अंग्रेजी बाजबाक प्रैक्टिस कराओल जाएत. सितम्बर पहिल सप्ताह सं शुरू होमय जा रहल एहि संस्थान मे विभिन्न कोर्स संचालित कएल जाएत जे नेना कक्षा सं ल' प्रोफेशनल आ हाउज वाइफ लेल सहो होएत. संस्थानक ऋषि झा मिथिमीडिया कें कहलनि जे स्पीकिंग केर अलावे पर्सनालिटी डेवलपमेंट पर सेहो धियान देल जाएत.


आधुनिक सुविधा सं लैस ई संस्थान ऑडियो-वीडियो ट्रेनिंग सेहो उपलब्ध कराओत जे विद्यार्थी कें उत्तम ट्रेनिंगक प्रति आश्वस्त करत. जिला मुख्यालय मे एहन तरहल इंस्टिट्यूट सं लोक कें स्पीकिंग कोर्स लेल जिला सं बाहर दड़िभंगा, पटना वा दिल्ली जेबाक प्रयोजन नै. संस्थान सं विस्तृत विवरण लेल देल संपर्क सूत्र पर संपर्क क' अपन नामांकन सुनिश्चित क' सकैत छी.
[Sponsored Post]
Previous Post Next Post