पनरह अगस्त कें रिषड़ा मे 'चेतना समारोह'

विगत कार्यक्रमक फ़ाइल चित्र 
कलकत्ता : मिथिला नव चेतना समिति,  रिषड़ा द्वारा प्रत्येक बरखक तरहें एहू बेर अपन स्थापना दिवस मनाओल जा रहल अछि. समितिक ई छठम स्थापना दिवस अछि आ एहि अवसर पर पाँचम स्मारिका केर विमोचन सेहो कएल जाएत.

आगामी शनि कें बेरूपहर 3 बजे सं  रिषड़ाक "रूपसी बांगला"- खाबार घर (रेलवे स्टेशन लग) मे चेतना समारोहक आयोजन कएल जाएत. दू सत्रक समारोह मे वर्ष 2015-16 केर कार्यकारिणि समितिक उद्‍घोषना होएत. पहिल सत्र मे  विद्वत भाषण-अभिभाषण होएत आ दोसर सत्र में धमगज्जर कवि सम्मेलन.

समितिक संयुक्त सचिव रंजीत कुमार झा जनओलनि जे पनरह अगस्त कें समिति चेतना समारोह करैत अछि जे हमरा लोकनिक सांस्कृतिक स्वतन्त्रताक उत्सव अछि. एहि अवसर पर प्रवासी बुद्धिजीवी ओ विशिष्टजन सहित सक्रिय कवि लोकनिक जुटानी होएत.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post