नै रहलाह देबीशंकर मिश्र, शोकाकुल समुदाय

कलकत्ता : हमरा लोकनिक मध्य केर एक युवा मैथिल कार्यकर्ता देबीशंकर मिश्र नै रहलाह. हुनक अकस्मात् मृत्यु पर कलकत्ता मैथिल समुदाय मे शोक व्याप्त अछि. हिनक निधन रविदिन (30 अगस्त)कें भोरे 8 बजे मारवाड़ी रिलीफ सोसाइटी अस्पताल मे भ' गेलनि. मिश्र कें शनिदिन राति लगभग एगारह बजे अस्पताल मे एडमिट कराओल गेल छल जतय चिकित्सक हुनक हालति कें चिंताजनक बतओने छल.

लगभग 45 बरखक देबीबाबू कें शनिदिन राति बीपी हाइ भेला पर अस्पताल ल' जाओल गेल. एहि सं पहिने ओ दैनिक रूटीन कें तहति ओ ऑफिस गेल छलाह आ परिजन लोकनि कें कनियो आभास नै छल. बीपी हाइ भेला पर आ स्थिति विकट पाबि चटपट हुनका अस्पताल मे दाखिल कराओल गेल मुदा हुनका बचाओल नै जा सकल. चिकित्सकक अनुसार हुनका ब्रेन हैम्ब्रेजक शिकाइत भ' गेलनि आ एक अलंग निस्थुल भ' गेल छलनि. हिनक निधन सं मैथिल समुदाय, परिजन-पुरजन शोकाकुल छथि. 

वयोवृद्ध मैथिल सेनानी किशोरीकांत मिश्र [गोपीपट्टी ढढिया (कमतौल, दरभंगा)] केर माझिल बालक देबीशंकर अपन पारिवारिक व्यवसाय प्रिंटिंग-प्रेस, प्रकाशनक काज सं जुड़ल रहल छलाह आ मैथिली क्रियाकलाप मे बेस रूचि लेइत छलाह. मिथिला सांस्कृतिक परिषद् केर क्रियाकलापक एकमात्र एक्टिव फेस छलाह देबीशंकर. युवा साहित्यकार मिथिलेश कुमार झा जे परिषद् सं सेहो जुड़ल रहल छथि, दुःख व्यक्त करैत कहलनि जे देबीशंकर कें नै रहने हमरा सभ बिनु हाथ-पएर कें भ' गेल छी. साहित्यिक गोष्ठी संपर्कक मासिक संचालन मे हुनक भूमिका महत्वपूर्ण छलनि. भोरे सं अस्पताल मे लोक जुटब शुरू भेल आ हुनक प्रेस कार्यालय मे लोक अबैत गेलाह आ भीड़ जुटल रहल. नबोनारायण मिश्र, कामेश्वर कमल, विजय इस्सर, अनमोल झा, मिथिलेश कुमार झा सहित अनेक मैथिलीनेही ओ परिजन जुटैत गेलाह. मिथिमीडिया टीम दिस सं श्रद्धांजलि!
(Photo : NavMithila)
Previous Post Next Post