साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क'मे 'से जे कहैत रही'

कलकत्ता : मैथिली साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' रविदिन सांझ नवीन प्रकाशन कार्यालयमे भेल. नवीन चौधरीक अध्यक्षतामे आयोजित गोष्ठीमे मैथिलीक कतिपय साहित्यकार अपन टटका रचना सुनओलनि जाहिपर त्वरित प्रतिक्रिया देल गेल. कामेश्वर झा 'कमल', अनमोल झा, चंदनकुमार झा, गंगा झा, रूपेश त्योंथ सहित नवीन चौधरी रचना पढ़लनि. गोष्ठीमे रामलोचन ठाकुर, देवीशंकर मिश्र, मिथिलेश कुमार झा, योगेन्द्र पाठक 'वियोगी', लखनपति झा आदि लोकनि पठित रचनापर प्रतिक्रिया देलनि.

एहि गोष्ठीमे अनमोल झा केर लघुकथा संग्रह 'से जे कहैत रही' विमोचित भेल. नवीन चौधरी अपन उदगारमे कहलनि जे संपर्क केर ई उपलब्धि भेलैक जे पोथीक विमोचन एतय भेलैक अछि. मिथिलेश कुमार झा जनओलनि जे ई चारिम खेप अछि जे संपर्कमे विमोचन भेल अछि. अनमोल झा केर ई पांचम पोथी अछि. एहिसं पहिने हिनक लघुकथा संग्रह 'समय साक्षी अछि', ई जे समय अछि, टेकनोलजी आ एक बाल कविता संग्रह 'चन्दा मामा आउ-आउ' प्रकाशित छनि. मूल रूपसं मधुबनीक नरुआर गामक निवासी अनमोल झा 'मैथिली लघुकथाक स्वरूप : विश्लेषणात्मक अध्ययन' पर पीएचडी क' रहलाह अछि.  

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post