करुणा झा देलनि 'जीवनदान'

सप्तरी : साहित्यकार करुणा झाक 'जीवनदान' पुस्तक एक समारोहमे विमोचन भेल अछि. मैथिली, नेपाली एवं हिन्दी भाषमे समान रूपसँ कलम चलेनिहारि उदियमान महिला साहित्यकार झा पाठक सबकें लेल अपन तेसर कृतिक रूपमे 'जीवनदान' देलनि.

मैथिली भाषाक लघु कथा संग्रहक रूपमे तैयार कएल गेल उक्त पुस्तककें सभासद् उमेशकुमार यादव एक कार्यक्रममे विमोचन केलनि. मैथिली साहित्य परिषद्क आयोजनामे भेल पुस्तक विमोचन तथा हास्य व्यंग्य कवि सम्मेलनमे झाक कृति विमोचित भेल. 

पुस्तकमे विभिन्न कृतिसँ समेटल गेल लघु कथा सब मैथिली भाषामे अनुवाद कएल गेल अछि. पुस्तकमे समाज परिवर्तन एंव महिला स–शक्तिकरणमे विशेष जोर देल गेल अछि. अहिसँ पहिले झाद्वारा नेपाली निबन्ध–संग्रह “शंखघोष” तथा मैथिली भाषामे कविता–संग्रह “भगजोगनी” बजारमे आबि चुकल कार्यक्रममे सहभागी लोकनि टिप्पणी केलनि.

“भगजोगनी” मैथिली भाषाक पुस्तक सभमे सर्वाधिक बिक्री होयबला पुस्तक रहल साझा प्रकाशनक  मुख्य शाखा कार्यालय राजविराजक  प्रमुख मनोजकुमार माँझी बतौलनि.  

कुल ६२टा लघु कथा संग्रहित मैथिली पुस्तकमे लेखिकाक मौलिक ५टा रचना रहल आ विभिन्न पुस्तक ग्रंथसँ लेल गेल अछि लेखिका झा विश्व नारी नेपाली साहित्य समाज, सगरमाथा अञ्चलक अध्यक्ष एवं अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद्क अध्यक्ष छथि.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post