रवीन्द्रनाथ ठाकुरकें प्रदान कएल गेलनि पुरस्कार


पटना : मैथिली गीतकार-कवि रवीन्द्रनाथ ठाकुरकें आइ पटनामे आयोजित एक समारोहमे एक लाख टाकाक चेक आ स्मृति चिन्ह प्रदान क' प्रबोध साहित्य सम्मानसं सम्मानित कएल गेल. एएनसिन्हा इंस्टिट्यूट सभागारमे आयोजित समारोहमे  स्वस्ति फाउंडेशनक न्यासी अभय नारायण सिंह द्वारा ई पुरस्कार देल गेल. कार्यक्रमक मुख्य अतिथि छलाह विद्यानंद झा ओ अध्यक्षता केलनि भाषाविद उदयनारायण सिंह 'नचिकेता'.

मैथिलीक वरिष्ठ कवि-संपादक रामलोचन ठाकूर कार्यक्रमक संचालन केलनि. खचाखच भरल सभागारमे राजधानीक बिद्धिजीवी वर्ग लोकनि उपस्थित छलाह. कार्यक्रमक दोसर सत्रमे सांगीतिक अनुष्ठान आयोजित छल.  

वर्ष 2015क प्रबोध साहित्य सम्मानक लेल मैथिली वरिष्ठ साहित्यकार रवीन्द्रनाथ ठाकुरक नामक घोषणा एही बरख पहिल जनवरीकें भेल छल. निर्णायक मंडल, मिथिला दर्शनक पाठकक संगहि ई-मेल/सोशल साइट पर देल गेल अभिमतक आधार पर सम्मान हेतु रवीन्द्रनाथ ठाकुरक चयन भेल छल. 

मैथिली आंदोलनक प्रवाद पुरुष, विख्यात लेखक, कलकत्ता विश्वविद्यालयक प्रोफ़ेसर प्रबोध नारायण सिंह केर स्मृतिमे स्वस्ति फाउंडेशन द्वारा 2004सं एक लाख टाका, स्मृति चिह्न एवं प्रशस्तिपत्रक संग ई पुरस्कार देल जाइछ. एहिसं पहिने लिली रे, महेन्द्र मलंगिया, गोविन्द झा, मायानंद मिश्र, मोहन भारद्वाज, राजमोहन झा, जीवकांत, सोमदेव, चंद्रभानु सिंह, रामलोचन ठाकुर, सुभाष चन्द्र यादव एवं भीमनाथ झाकें प्रदान कएल गेल अछि.

(रिपोर्ट : अमित आनंद)
Previous Post Next Post