अंतर्राष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल 19सं दड़िभंगामे


नव दिल्ली/दड़िभंगा : दरभंगा इंटरनेशनल फिल्म फेस्टिवल केर शुरुआत बृहस्पतिदिन 19 फरवरीकें दड़िभंगामे होमय जा रहल अछि. दरभंगा फिल्म क्लब केर वार्षिक कार्यक्रम केर तहति आयोजित होमयवला ई फेस्टिवल एहि बेर चारि दिवसीय होयत. दड़िभंगाक बेला पैलेसमे 22 फरवरीकें समापन होएत.

फेस्टिवल संयोजक मेराज सिद्दीकी केर अनुसार एहिमे देश-विदेश केर फिल्मसं जुड़ल हस्ती लोकनि भाग लेताह. एहि अवसरपर मैथिली, हिन्दी, अंगरेजी सहित कतिपय फ़िल्मक प्रदर्शन होएत. अंतिम दिन छात्र लोकनि लेल आर्ट प्रतियोगिता सेहो आयोजित अछि. एहिमे मैथिली फिल्म ललका पाग, खामोशी आ डांस केर प्रदर्शन होएत. 

ज्ञात हो जे ई बिहार प्रांत केर एकमात्र फिल्म फेस्टिवल अछि जे अंतर्राष्ट्रीय फिल्मक प्रदर्शन करैत अछि. एहि फिल्म फेस्टिवलमे फिल्मसं जुड़ल विभिन्न व्यक्तित्वक सम्मान सेहो कइल जाइत अछि. मिथिमीडिया एहि फिल्म फेस्टिवल केर समर्थक रहल अछि आ सिनेमा प्रेमी लोकनिकें आमंत्रित करैत अछि. प्रवेश निर्बाध छै. 

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post