मैथिलीक स्टार कविकें सुनबालेल जुटल भीड़


हुगली/कलकत्ता : महानगरसं कनेक फटकी करमान लागल लोक जुटल छल पंडालमे. महिला, बच्चा, नव-पुरान सभ तरहक लोक दर्शकमे छल. थोपड़ीक गड़गड़ाहटि संगीतक काज करैत छल जखन जनकजी मंचसं कविता पढि रहल छलाह. मैथिली कविताक लोकप्रियताक एहिसं पैघ सबूत आओर किछु ने भ' सकैछ. रविदिन 28 दिसंबर 2014कें शास्त्रीनगर (कोन्नगर)मे मैथिली दिवसक आयोजन पर किछु एहने देखबामे आएल. 

कार्यक्रम आयोजन जानकी सेवा संघ द्वारा विद्यापति लेनमे भेल छल. बेरूपहर तीन बजेसं आयोजित एहि कार्यक्रममे दड़िभंगा आकाशवाणीक मणिकांत झा मंच उद्घोषक छलाह. मैथिली साहित्य मंचो पर आम लोकक मध्य कतेक लोकप्रिय अछि से ई दुनू गोटे सबहक समक्ष रखलनि. विभिन्न प्रसंगक उल्लेखक' मणिकांतजी कार्यक्रमक रोचकता बनओने रहलाह त' डॉ जयप्रकाश चौधरी 'जनक' अपन हास्य कवितासं श्रोता लोकनिकें झुमा देलनि. 

दरभंगा आकाशवाणी केर कलाकार प्रवीण कुमार मिश्र ओ हुनक टीम द्वारा मैथिली गीत-संगीतक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. कार्यक्रममे शैल झा 'सागर' ओ अंजना इस्सरक गीत सेहो दर्शकक भरपूर मनोरंजन केलक. एहिसं पहिने एतय अष्टजामकेर आयोजन सेहो कएल गेल छल. मैथिलीकें आठम अनुसूचिमे स्थान भेटबाक अवसर पर ई आयोजन भेल छल. 

कार्यक्रमक शुरुआत गोसाओनिक गीतसं भेल. कार्यक्रमक उदघाटन आयकर आयुक्त अजय सिंह केलनि. विशेष पाहुनक रूपे उद्योगपति ओ समाजसेवी युगल किशोर झा ओ जीवेन्द्र मिश्र उपस्थित छलाह. सभाक अध्यक्षता मैथिली दैनिक मिथिला समाद केर संपादक तारा कान्त झा केलनि. एहि अवसर पर वरिष्ठ साहित्यकार लक्ष्मण झा 'सागर', प्रफुल्ल कोलख्यान मैथिली-मिथिला विषय पर अपन विचार प्रकट केलनि. कार्यक्रमक उपरान्त संस्थाक अध्यक्ष राज कुमार झा धन्यावाद ज्ञापन केलनि.  

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post