वीएमवाइएम केर तेरहम सरस्वती पूजा महोत्सव संपन्न


नव दिल्ली : विद्यापति मैथिल युवा मंच द्वारा आयोजित तेरहम सरस्वती पूजा महोत्सव धूमधामसं संपन्न भेल. 24सं 26 जनवरी धरि दिल्लीक स्वाती अपार्टमेन्ट पार्क,पश्चिमी विनोद नगरमे ई पूजनोत्सव आयोजित छल. मंच द्वारा संचालित वीएमवाइएम एकेडमी द्वारा छात्र प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल छल, जाहिमे लगभग 700 छात्र भाग लेलनि. एहिमे प्रश्नोत्तरी, नृत्य, चित्रकला, गायन आदि प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल. प्रतियोगितामे अव्वल छात्र-छात्रा लोकनिकें पुरस्कृत कएल गेल. 


पूजनोत्सवमे विशिष्ट अतिथि लोकनिमे मनीष सिसोदिया ( विधायक, पटपड़गंज, दिल्ली), विनोद कुमार बिन्नी (विधायक, लक्ष्मीनगर, दिल्ली), सतीश चन्द्र झा (प्रोफ़ेसर, सनातन धर्म कॉलेज), एस. एन. झा (रिटायर्ड आइ.ए.एस., रजिस्ट्रार, आइ.जी.डी.टी.यूनिवर्सिटी फॉर वूमेन), राजेश शर्मा (एन.आइ.आर.सी., आइ.सी.ए.आइ.), गोपाल केडिया (एन.आइ.आर.सी., आइ.सी.ए.आइ.), हंसराज चुग (एन.आइ.आर.सी., आइ.सी.ए.आइ.), डॉ. पद्माकर मिश्रा (डिप्टी रजिस्ट्रार, दिल्ली विश्वविद्यालय), सागर झा (अभिनेता), शुभ नारायण झा (अभिनेता), रमानाथ झा (निर्माता/निर्देशक-हाफ मर्डर) सहित अनेक लोकनि पहुंचल छलाह.


एहि अवसर पर मंचक डिस्पेंसरी द्वारा निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श शिविर सेहो आयोजित कएल गेल जतय लोक सभ अपन स्वास्थ्यसं जुड़ल परामर्श लेलनि. संस्था साहित्य प्रकाशन दिस डेग बढओलक. प्रतिवर्ष स्मारिकाक प्रकाशन त' करिते छल. एहि बरख संस्था स्मारिका संगहि युवा मैथिली गीतकार/कवि मनीष झा 'बौआभाइ' केर पहिल कविता संग्रह 'नीक-बेजाए' केर प्रकाशन-विमोचन केलक अछि. 

पूजनोत्सवक अवसर पर संजय झा, विमलेश झा, ममता उपाध्याय, मनीष मिश्रा आदि कलाकार द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कएल गेल. मंचक संचालन-उदघोषण केलनि मनीष झा 'बौआभाइ'. श्वेतारानी समूह द्वारा राधा-कृष्ण युगल नृत्य आ अदिति मिश्र द्वारा पहिल मैथिली फिल्म 'ममता गाबय गीत' फ़िल्मक गीत 'भरि नगरीमे सोर' पर नृत्य प्रस्तुत कएल गेल. कार्यक्रममे रमेश मल्लिक समूह केर संगीत छल. 26 जनवरीकें हवन, आरतीक पश्चात जमुनामे मूर्ति विसर्जन कएल गेल.

(रिपोर्ट: मिथिमीडिया ब्यूरो; फोटो : मुकेश मिश्र)
Previous Post Next Post