ठीक नै छनि जुझारू मैथिल लूटन ठाकुरक स्वास्थ्य, सीसीयूमे

कलकत्ता : 'प्रवासक भेंट' केर संपादक रहल जुझारू मैथिल लूटन ठाकुरक स्वास्थ्य ठीक नै छनि. हुनका कोलकाताक नॉर्थ सिटी हॉस्पिटल (उल्टाडांगा)मे भर्ती कएल गेल छनि. हुनक स्वास्थ्यमे सुधार नै देखल जा रहल अछि. 87 वर्षीय मैथिलीसेवीक परिजन हुनक देखरेखमे छथिन. कएक दिनसं ई वेंटिलेटरपर छथि. ठाकुरजीकें सीसीयूमे भर्ती क' गहन चिकित्सीय देखरेखमे राखल गेल अछि. स्वास्थ्यमे कोनो तरहक सुधार नै देखल जा रहल अछि. 

अस्पतालमे महानगरक मैथिलीनेही ओ हुनक शुभचिंतक लोकनिक आवाजाही लागल अछि. हिनक परिजन सभसं ज्ञात भेल जे डाक्टर हिनका निरसि देने छनि. सांस चलि रहल छनि कहुना. भरल-पूरल परिवार छनि हिनक. 

मस्सा निवासी लूटन ठाकुर डॉन बास्को स्कूलमे अध्यापक छलाह. ई चर्चित पत्रिका 'प्रवासक भेंट' केर संपादक छलाह आ कलकत्ता सहित देशक विभिन्न भागमे अनेक मैथिली सेनानी तैयार केने छलाह. ई विश्वमित्र दैनिक सहित मैथिली दैनिक मिथिला समादमे सेहो किछु दिन जुड़ल रहलाह. मैथिली पत्रकारितामे हिनक योगदान अविस्मरणीय अछि.      

(रिपोर्ट : मिथिलेश कुमार झा)
Previous Post Next Post