रवीन्द्रनाथ ठाकुरकें बारहम प्रबोध साहित्य सम्मान


कलकत्ता/पटना: वर्ष 2015क प्रबोध साहित्य सम्मानक लेल मैथिली वरिष्ठ साहित्यकार रवीन्द्रनाथ ठाकुरक चयन कएल गेल अछि. निर्णायक मंडल, मिथिला दर्शनक पाठकक संगहि ई-मेल/सोशल साइट पर देल गेल अभिमतक आधार पर सम्मान हेतु रवीन्द्रनाथ ठाकुरक चयन भेल अछि. हिनका 15 फरवरीकें ई पुरस्कार देल जेतनि. 

मैथिली आंदोलनक प्रवाद पुरुष, विख्यात लेखक, कलकत्ता विश्वविद्यालयक प्रोफ़ेसर प्रबोध नारायण सिंह केर स्मृतिमे स्वस्ति फाउंडेशन द्वारा 2004सं एक लाख टाका, स्मृति चिह्न एवं प्रशस्तिपत्रक संग ई पुरस्कार देल जाइछ. एहिसं पहिने लिली रे, महेन्द्र मलंगिया, गोविन्द झा, मायानंद मिश्र, मोहन भारद्वाज, राजमोहन झा, जीवकांत, सोमदेव, चंद्रभानु सिंह, रामलोचन ठाकुर, सुभाष चन्द्र यादव एवं भीमनाथ झाकें प्रदान कएल गेल अछि.   

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post