'इच्छाशक्तिक धनिक छलाह कुमार शैलेन्द्र'


कलकत्ता : मिथिला सेवा समिति द्वारा रविदिन 21 दिसंबरकें अधिकार दिवस समारोह केर आयोजन बेलूड़ स्थित विद्यापति भवनमे भेल. एहि कार्यक्रममे दिवंगत मैथिली लेखक ओ रंगकर्मी कुमार शैलेन्द्रकें श्रद्धांजलि अर्पित कएल गेल. कार्यक्रमक मुख्य अतिथि सुपौलसं आएल ओ मैथिली दैनिक मिथिला आवाज केर संपादक रहल अरविन्द ठाकुर छलाह. कुमार शैलेन्द्र पर ई अपन वक्तव्यमे बेस इजोत देलनि . 

ज्ञात हो जे कुमार शैलेन्द्र केर निधन 16 दिसंबर कें कलकत्ताक विशुद्धानंद अस्पतालमे भ' गेलनि. कुमार शैलेन्द्र विगत कएक माससं बेमार छलाह. 50 वर्षीय एहि सक्रिय मैथिलीसेवीक मृत्यु समूचा मैथिल समुदायकें दुखित क' देने अछि. देश भरिमे श्रद्धांजलि सभाक आयोजन भेल अछि.

दू सत्रमे आयोजित कार्यक्रमक पहिल सत्रमे मैथिली अधिकार दिवस ओ कुमार शैलेन्द्र पर वक्ता लोकनि अपन विचार प्रकट केलनि. अरविन्द ठाकुर, प्रदीप कुमार झा, घनश्याम चौधरी, भास्करानंद झा भास्कर, रूपेश त्योंथ, चन्दन कुमार झा अपन विचार व्यक्त केलनि. अरविन्द ठाकुर कहलनि जे शैलेन्द्र जिदियाह छलाह आ यएह जिद हिनका उत्तम कलाकार ओ लेखक बनबैत छल. हुनकामे अजब केर प्रतिभा छलनि. जहिना नाट्यकर्ममे अपनाकें समर्पित केने छलाह, तहिना कोनो विषय पर क्षण भरिमे लिखि सकै छलाह. हुनक एहि गुणकें मिथिला आवाजमे काज पडैत छल. ओ कहलनि जे शैलेन्द्र नै रहलाह से पतियाएब संभव नै भ' रहल अछि.

भास्करानंद झा 'भास्कर' हिनक नाट्य प्रतिभा दिस इजोत देइत बजलाह जे कुमार शैलेन्द्र मात्र अपनहि नै अभिनय करैत छलाह. ई अपना पाछा भारी संख्यामे रंगकर्मी लोकनिकें तैयार क' छोडि गेलाह अछि. हिनक प्रतिभासं मैथिली-मिथिला आओर लाभान्वित भ' सकै छल मुदा से नै भ' सकल. रूपेश त्योंथ रंगकर्मी ओ साहित्यकार लोकनिक सहयोगार्थ समाजकें आगू अयबाक आह्वान केलनि. ओ कहलनि जे एकटा साहित्यकार, कलाकार अपन सर्वस्व समाज लेल न्योछावर क' देइत अछि आ अंतमे दुःख भोगैत अछि. हिनक संरक्षण ओ प्रोत्साहनक लेल सामाजिक संस्था सभकें आगू अएबाक चाही. चन्दन कुमार झा अधिकार दिवस पर अपन बात रखलनि. सत्रक संचालन भवनाथ झा केलनि.

दोसर सत्रमे भव्य कवि गोष्ठीक आयोजन भेल जाहिमे अरविन्द ठाकुर, बिनय भूषण, मिथिलेश कुमार झा. अनमोल झा, अजय तिरहुतिया, राजीव रंजन मिश्र, आमोद झा, भास्करानंद झा 'भास्कर', विजय इस्सर, अशोक चौधरी, अमर भारती, रूपेश त्योंथ, चन्दन कुमार झा, उमाकांत झा बक्शी, राघवेन्द्र झा राघव आदि कवि लोकनि कविता पाठ केलनि. संजय झा केर धन्यवाद ज्ञापनसं कार्यक्रम संपन्न भेल. एहि अवसर पर सदन खचाखच भरल छल. श्रोता लोकनि कार्यक्रमक अंत धरि बैसल रहलाह. कविगोष्ठी केर संचालन बिनय भूषण केलनि.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post