विद्यापति सेतु पर मिविप कएलक सभा


कलकत्ता: विद्यापति सेतु पर कविपति प्रतिमा समक्ष मिथिला विकास परिषद् द्वारा असम हिंसामे मारल गेल लोकक प्रति श्रद्धांजलि देल गेल. शुक्रदिन सांझ आयोजित एक कार्यक्रममे मोमबत्ती ज़रा संवेदना प्रकट कएल गेल. एहि कार्यक्रममे अध्यक्ष अशोक झा, रसिकजी, अरुण झा, पंडित नंदकुमार झा, पंडित तेज नारायण झा, विष्णु देव मिश्रा, नवोनाथ झा ,रमेश झा, विनोद झा,महेश प्रसाद चौधरी, मोहमंद नियाजसहित अनेक लोकनि उपस्थित भेलाह.

ज्ञात हो जे विद्यापति सेतु पर कविपतिक प्रतिमा दुरावस्थामे छल. मैथिली युवा साहित्यकार किशन कारीगर अपन कलकत्ता यात्राक दौरान प्रतिमाक फोटो सोशल साइट पर शेयर केलनि जतय चारू भर गन्दगी पसरल छल. ई बेस चर्चामे आबि गेल आ फेर मिथिला विकास परिषद् त्वरित डेग उठा मेयरसं स्थान साफ़-सुथरा करेबाक अनुरोध केलक. परिषदक अध्यक्ष अशोक झाक सत्प्रयाससं केएमसी द्वारा सेतु पर अवस्थित विद्यापतिक प्रतिमा साफ़-सुथरा कएल गेल. मिथिला विकास परिषद् ओही स्थल पर उक्त कार्यक्रम रखने छल. 
Previous Post Next Post