काल्हि मैथिली अधिकार दिवसक आयोजन

हावड़ा: मैथिलीकें संविधानक अष्टम अनुसूचीमे शामिल होयबा पर देश भरिमे दिसंबर मासमे मैथिली अधिकार दिवसक पालन मैथिल सभ करैत छथि. एकरे धियानमे राखि मिथिला सेवा समिति, बेलूड़ विगत विगत वर्षसं मैथिली अधिकार दिवस मनबैत आबि रहल अछि. एहि क्रममे एहू बेर समिति रविकें मने काल्हि मैथिली अधिकार दिवसक आयोजन केलक अछि. कार्यक्रमक आयोजन बेरूपहर 3 बजेसं बेलूड़ अवस्थित विद्यापति सदनमे होयत. समितिक पदाधिकारी मिथिमीडियाकें जनओलनि जे मैथिली अधिकार दिवस कार्यक्रममे भाखा पर विमर्शक संगहि कुमार शैलेन्द्रक श्रद्धांजलि देल जायत. कार्यक्रमक अंतिम सत्रमे कविगोष्ठीक आयोजन कएल जायत. 
Previous Post Next Post