इम्फालमे ऑल इंडिया पोएट्री फेस्टिवल

नव दिल्ली : साहित्य अकादेमी द्वारा ऑल इंडिया पोएट्री फेस्टिवल आइसं इम्फालमे आयोजित अछि. 21-22 दिसंबरकें आयोजित एहि दू दिना महोत्सवमे मैथिली दिससं अरुणाभ सौरभ कविता प्रस्तुत करताह. जवाहर लाल नेहरू मणिपुर डांस एकेडमी सभागारमे आयोजित एहि काव्य उत्सवक दोसर दिन मने सोमदिनक तृतीय सत्रमे अरुणाभ मैथिली कविता प्रस्तुत करताह. 

एहि कार्यक्रममे देशक अनेक भाषाक कवि लोकनि भाग ल' रहल छथि. कार्यक्रममे विभिन्न भाषाक काव्य पाठ सहित हिन्दी, बांग्ला, तेलगू आ मणिपुरी कवितापर वार्ता आयोजित अछि. संगहि पहिल दिन भरतनाट्यम आ दोसर दिन मणिपुरी नृत्यक कार्यक्रम सेहो राखल गेल अछि. एहि अवसर पर साहित्य अकादेमी द्वारा प्रकाशित साहित्य सस्ता मूल्य पर बिक्री हेतु उपलब्ध होयत.
Previous Post Next Post