मैथिली सम्मेलनमे भेल चारि गोट नव प्रकाशन


जनकपुर : अन्तर्राष्टूीय मैथिली सम्मेलनमे चारि गोट पोथीक प्रकाशन-विमोचन भेल अछि. एहिमे स्मारिका सहित साक्षात्कार, कथा-संग्रह ओ रिपोर्ताज प्रकाशित भेल अछि.

स्मारिका : तिरहुत 
अन्तर्राष्टूीय मैथिली सम्मेलनक अवसर पर प्रकाशित स्मारिका ‘तिरहुत’ एकटा विशिष्ट प्रकाशन अछि. मुख पृष्टसं नेपालक धरतीक सुगन्धि प्रारंभ भ’ समस्त मिथिलाक आंगन -घरमे पसरब प्रारंभ भ’ जाइछ जखन डा. रामदेव झा, चन्द्रेश, अयोध्यानाथ चौधरी, डा. मोहित ठाकुर, डा. महेन्द्र ना. राम, डा. सुरेश्वर झा, डा. कमल कान्त झा, राम भरोस कापडि़ ‘भ्रमर’ आदिक आलेखक सुगन्धि सगरो छिडि़आए लगैछ. 
प्रधान सम्पादक ‘भ्रमर’जी छथि, ओतहि एकर सम्पादनक पूर्ण जिम्मेवारी चंद्रेशजी वहन कएने छथि आ से बखूबी तकर निर्वाह कएलनि अछि.

साक्षात्कार : अहां जे कहलहुं 
राम भरोस  कापडि़ ‘भ्रमर’क सम्पादनमे प्रकाशित ‘अहां जे कहलहुँ’ साक्षात्कार संग्रह नेपालक दोसर साक्षात्कार पुस्तक अछि. एहिमे ‘भ्रमर’जी द्वारा सम्पादित आंगन, आंजुर पत्रिकामे छपल किछु अन्तरवार्ता सभ मे सं तत्कार उपलव्ध भेल अन्तरवार्ताकें एकत्रित कएल गेल अछि. ई अन्तरवार्ता भाषा, साहित्य, संस्कृति, गीत-संगीत क्षेत्रकें  छुबैत अछि आ नेपालीय मैथिली साहित्यक विभिन्न विद्यापर विद्वत् वर्ग, विशेषज्ञ लोकनिक विचार उपलव्ध करबैत अछि. अनुसन्धाता लोकनिक हेतु ई अत्यन्त उपयोगी हएतनि से विश्वास कएल जा सकैछ. एहिमे लोकचित्र मर्मज्ञ कृष्ण कुमार कश्यप, गायक रामा मंडल, हरि गुरुदेव कामत, शंकर चौधरी, साहित्यकार डा. राम दयाल राकेश, आचार्य सोमदेव, भाषाविद् पं. गोविन्द झा, डा. योगेन्द्र प्र. यादव, प्रा. डा. चूडामणि बन्धु, संस्कृतिविद् डा. हरिकान्त लाल दास, अभियानी डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’  विचार संकलित अछि जकरा चन्द्रश, ‘भ्रमर’, विजेता चौधरी, विनित ठाकुर प्रस्तुत कएने छथि.

कथा संग्रह : मैथिली  कथा नेपाल
नेपालसं प्रकाशित एखन धरिक सभसं महत्वपूर्ण आ ऐतिहासिक कथा संग्रह अछि जाहिमे नव-पुरान बत्तीस गोट कथाकार संग्रहित अछि. पं. सुन्दर झा शास्त्री सं ल’ विजेता चौधरी धरिक ई बत्तीसो कथाकार नेपालीय मैथिली कथा साहित्यकें उर्जा प्रदान क’ रहल अछि. अनेक बाधा-अबरोधकें पार करैत अन्ततः प्रकाशनक मुंहथरि धरि पहुंचल ई संग्रह डा. रमानन्द झा ‘रमण’क सम्पादनमे सुव्यवस्थित रुपें नीक गेट–अप, सेट–अपमे प्रकाशित भेल अछि.

रिपोर्ताज :अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 
अन्तर्राष्टूीय मैथिली सम्मेलनक एगारहम् संस्करण जनकपुरधाममे सम्पन्न भेल अछि. एहि पुस्तकमे लेखक चंद्रेशजी दिल्ली सं जनकपुरधाम धरिक सम्मेलनक इतिवृत विस्तारसं प्रस्तुत कएलनि अछि जाहिसं पाठक, जिज्ञाशुकें बहुत रास नव सूचना भेटि जाइत छैक.

– कुमार अभि
Previous Post Next Post