आशाकें अकादेमी आ निक्कीकें रित्विक-सोनम पुरस्कार

दड़िभंगा-नव दिल्ली : साहित्य अकादेमी द्वारा देल जायवला वार्षिक पुरस्कार 2014 साल लेल आशा मिश्रकें देल जयबाक घोषणा भेल अछि. आशाकें हुनक पोथी 'उचाट' लेल ई पुरस्कार देल जायत. उचाट मैथिली उपन्यास सहित आशा मिश्र सभसं पैघ विजय ओ थाहैत स्वप्न पोथी लिखने छथि. पुरस्कार हेतु मैथिली दिससं डॉ सुरेश्वर झा, डॉ देवकांत झा आ शैफालिका वर्मा आशा मिश्रक उचाट केर चयन केलनि. 

हिनका मार्चमे पुरस्कार राशि ओ प्रशस्तिपत्र देल जायत. पुरस्कारक घोषणा दिल्लीमे भेल अकादेमी केर बैसकमे भेल.  आशा मिश्र दड़िभंगामे रहैत छथि आ लेखन-पठन-पाठनमे रुचि छनि. 

एकर संगहि मैथिलीक युवा महिला साहित्यकार ओ जेआरएफ निक्की प्रियदर्शिनीकें हुनक निबंध पोथी देखल जा सकैछ लेल पहिल 'रित्विक सोनम साहित्य सम्मान' देबाक घोषणा भेल अछि. एकर निर्णायक मंडल मे रहथि - भीमनाथ झा, पंचानन मिश्र आ अशोक कुमार मेहता. ई जनतब रित्विक तृप्ति सोनम स्मृति संस्थानक अध्यक्ष राजनाथ मिश्र देलनि. ज्ञात हो जे निक्की केर एहि पुरस्कृत पोथीक आमुख भीमनाथ झा केर लिखल छनि.  निर्णायक मंडलमे भीमनाथ झा केर रहबा प्रश्न उठाओल जा रहल अछि.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)

Previous Post Next Post