जानकी मंदिरकें उड़यबाक षड्यंत्र


जनकपुरधाम: जानकी मंदिर कें आतंकवादी सभ बम विस्फोट क' 13 दिसम्बर कें उड़यबाक साजिश रचने छल. एहिसं पहिनहि छओ दिसम्बर कें आतंकवादी प्रसिद्ध पशुपतिनाथ मंदिर कें उड़यबाक साजिश रचने छल मुदा नेपाली सुरक्षा एजेंसीकें एहि साजिशक पता चलल. एहि मामिला मे २० गोट आतंकी कें गिरफ्तार कएल गेल अछि.

आतंकी सबहक गिरफ्तारी काठमांडूसं भेल अछि. गुप्त सूचनाक बाद नेपाली सुरक्षा एजेंसीक छओ दिनक स्पेशल ऑपरेशन मे आतंकी सभ कें गिरफ्तार कएल गेल अछि. एकर पुष्टि काठमांडूक महानगरीय पुलिस आयुक्त (एआईजी) विज्ञान राज शर्मा केलनि अछि. 13 दिसंबर कें जानकी मंदिर मे धार्मिक आयोजनक बहन्ने बम विस्फोट करबाक योजना छलैक. शर्मा आशंका जतओलनि जे गिरफ्तार आतंकी अलकायदा केर भ' सकैए. एकरा देखैत इंडो-नेपाल बोर्डर पर अलर्ट जारी कएल गेल अछि. 
Previous Post Next Post