बेलूड़मे रक्तदान शिविरक आयोजन


हावड़ा: बेलूड़ स्थित  मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट द्वारा रक्तदान शिविरक आयोजन रविदिन 23 नवंबरकें भेल. एहि कार्यक्रमक उद्घाटन युवा उद्योगपति जीबेन्द्र मिश्र केलनि. लगातार दस सालसं सामाजिक सरोकार हेतु ई शिविर लगाओल जाइत अछि. एहूबेर सैकड़ो लोक रक्तदान केलनि. एहि अवसर पर वक्तव्य रखैत जीबेन्द्र मिश्र कहलनि जे एहि तरहक आयोजन गाम धरि जेबाक चाही जाहिसं रक्तदानक प्रति भ्रम टूटत. उपस्थित अतिथि दत्ता बाबु कहलनि जे ई एकटा एहन संस्था अछि जे राजनीतिसं फटकी रहैत अछि. सदिखन समाजिक क्रिया-कलापमे रहैत अछि. संस्थाक जनसरोकारी कार्यक्रम सभ प्रशंसनीय अछि.  के कार्य करैत अछि. ट्रस्टक चेयरमैन दिनेश मिश्र सब रक्तदाताकें धन्यवाद ज्ञापन केलनि. ई कार्यक्रम लायन्स ब्लड बैंकक सहयोगसं आयोजित भेल छल. (मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post