27म अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन आइसं

दड़िभंगा : अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक तत्वावधानमे 27म अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन आइसं सीएम साइंस कालेजक कामेश्वर भवनमे होयत. 21-22 दिसंबरकें आयोजित एहि कार्यक्रममे नेपालक पूर्व मंत्री रामचंद्र झा, लनामिविक कुलपति डा. साकेत कुशवाहा, डा. भुवनेश्वर प्रसाद गुरमैता, परिषदक प्रमुख धनाकर ठाकुर सहित अनेक मैथिली प्रेमी लोकनि उपस्थित होयताह. एहि सम्मलेनमे मिथिलाक विभिन्न समस्या सभ पर विमर्श होयत संगहि कोना मिथिला-मैथिली कें सब संवैधानिक अधिकार भेटतैक एहू पर चर्चा होयत. सम्मलेन विकासक मुद्दा सहित राज्य ओ मैथिली साहित्य पर इजोत देल जायत. 

Previous Post Next Post