घन घन घनन घुंघुरू कत बाजय...


कलकत्ता/पटना/दड़िभंगा: कार्तिक धवल त्रयोदशी ओना त' विद्यापतिक अवसान दिवस अछि, मुदा मैथिल लोकनि एकरा पर्व जकां मनबैत छथि. ई एक उत्सव एक समारोह बनि गेल अछि. बिहार सरकार एकरा राजकीय पर्व घोषित केने अछि. आने बेर जकां एहू बेर विद्यापतिक गाम बिस्फी सं ल' अवसान स्थल विद्यापतिनगर धरि समारोहक आयोजन भेल. कएक ठाम आयोजन तीन दिवसीय छल. 

बिस्फी: मधुबनी जिलाक बिस्फी गाममे विद्यापति स्मारक परिसरमे समारोहक आयोजन भेल. विशेष बात रहल जे एहि बेर सांसद पप्पू यादव उपस्थित छलाह. ओ मंच सं बजलाह जे मिथिलाक सभ जन मैथिल छथि. सबहक भाखा मैथिली अछि. विद्यापति समारोह मात्र क' लेने नहि होयत. हमरा सभ कें विद्यापति कें अपन बात-विचार आ व्यवहारमे आनय पडत. एमहर किछु समय सं पप्पू यादव मिथिला-मैथिली मुद्दा उठबैत रहैत छथि आ बेस लोकप्रियता अर्जित केने छथि.

बेनीपट्टी: मिथिलांचल सर्वांगींण विकास संस्थान द्वारा आयोजित होमयवला विद्यापति समारोहक ई ३०म आयोजन छल. तीन दिवसीय आयोजन केर पहिल दिन कवि उदय चन्द्र झा 'विनोद' त' दोसर दिन भाजपा विधायक विनोद नारायण झा कार्यक्रमक उदघाटन केलनि. कार्यक्रममे मिथिला विकास परिषद् कोलकाता केर अध्यक्ष अशोक झा सेहो भाग लेलनि. आने बरख जकां एतय कविगोष्ठी ओ मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित भेल. कुञ्ज बिहारी केर गीत श्रोता लोकनि कें बेस मनोरंजन केलक. 

एकर संगहि किसान जागरूकता विकास समिति द्वारा विद्यापति चौक पर एक सभाक आयोजन सेहो कएल गेल. चौक पर विद्यापतिक मूर्ति स्थापनाक ई २७ वर्ष छैक. कार्यक्रम मे उपस्थिति वक्ता लोकनि विद्यापतिक रचना ओ प्रासंगिकता पर अपन विचार देलनि.

मधुबनी: विद्यापति स्मारक संरक्षक मंडलक तत्वावधान मे टावर परिसर मे पंचम विद्यापति समारोहक आयोजन कएल गेल. एहि अवसर पर कविगोष्ठी ओ सांस्कृतिक अनुष्ठानक आयोजन कएल गेल छल.

मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति द्वारा विद्यापति टावर परिसर मे एक संगोष्ठी केर आयोजन कएल गेल. विद्यापतिक गीत एवं काव्यक प्रासंगिकता विषय पर आयोजित गोष्ठी मे वक्ता लोकनि अपन विचार रखलनि.

दड़िभंगा :  विद्यापति सेवा संस्थान द्वारा तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व आयोजित भेल. चेतना जागरण यात्राक संगहि मैथिली नाटकक इतिहास आ सिनेमा विषय पर चर्चा सहित पोथी विमोचित भेल. कार्यक्रमक तेसर दिन स्थानीय नेता सहित सुशील मोदी सेहो उपस्थित भेलाह. भाषण-भूषण सहित जमि क' रंगारंग कार्यक्रम भेल. विशेष बात ई रहल जे लगभग तीन मास सं बन्न संस्थानक डॉ बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' जहल सं छुटलाह.   

एकर संगहि मिथिलांचल विकास परिषद्, मिथिला संघर्ष समिति ओ साक्षर दरभंगा दिस सं सेहो पर्व आयोजित भेल. एहि अवसर पर राजनाथ मिश्र केर मैथिली उपन्यास 'मोगलानी' केर विमोचन भेल. कविसम्मेलनक आयोजन सेहो भेल. डॉ. भीमनाथ झा सहित छओ गोटे कें मैथिली भाखा-साहित्य मे योगदान लेल वैदेह सम्मान देल गेलनि.

पटना: कार्तिक धवल त्रियोदशी, महाकवि विद्यापतिक अवसान दिवसपर चेतना समिति, पटना द्वारा इक्सठम विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक पहिल दिनक कार्यक्रम स्थानीय विद्यापति भवनमे आयोजित भेल. कार्यक्रम उद्घाटन समरोह्सं पूर्व बिहारक भूतपूर्व मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा नवीनीकृत विद्यापति भवनक उदघाटन कएल गेल. 

अतिथि सभक स्वागत करैत समितिक अध्यक्ष विजय मिश्र चेतना समितिक साहित्यिक सांस्कृतिक क्षेत्रमे मह्त्ताकें रेखांकित कएलनि. समितिक सचिव डा. बासुकी नाथ झा सचिवक प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत बिहार सरकारसं मांग कएलनि जे प्राथमिक शिक्षामे मैथिलीक समावेश कएल जाए संगहिं मैथिल समाजसँ सेहो सरकारी पत्राचार मैथिली भाषामे करबाक आग्रह कएलनि.

तदुपरांत विभिन्न क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदानक लेल अनेक कलाकार, साहित्यकार आ समाजसेवीकें सम्मानित कएल गेलनि. जाहिमे विद्यानाथ झा “विदित”कें मैथिली सेवा सम्मान, कथाकार अशोककें यात्री चेतना सम्मान, चंदन कुमार झाकें कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान, चंदना दत्तकें माहेश्वरी महेश ग्रन्थ पुरस्कारसं सम्मानित कएल गेलनि. सम्मान समारोहक उपरान्त चेतना समिति द्वारा प्रकाशित स्मरिकाक संगे-संग अनके पोथी लोकार्पित भेल. एहि अवसरपर विधान पार्षद दिलीप कुमार चौधरी, विधायक ऋषि मिश्रा, संजय झा, न्यायमूर्ति आसुतोष कुमार झा, रामानंद झा रमण, विवेकानंद ठाकुर, विवेकानंद झा, रघुवीर मोची, योगेन्द्र नारायण मल्लिक आदि उपस्थित छलाह.

दोसर सत्रमे चर्चित गायिका रंजना झा द्वारा विद्यापति गीत आ मिथिलाक पारम्परिक गीत सभक प्रस्तुति भेल.  सुविख्यात नृत्यांगना डा. नलिनी सिंह अपन नृत्य प्रस्तुत केलनि. अंतिम सत्रमे कवि सम्मलेन आयोजित छल जाहिमे सर्व श्री जगदीश चन्द्र ठाकुर “अनिल”, श्याम दरिहरे, कामिनी, अजित आजाद, कमल मोहन “चुन्नु”, मधुकांत झा, विजय चन्द्र झा, गणेश झा, अशोक मेहता, बच्चा ठाकुर, आदि कविगण अपन-अपन रचना पढलनि. एहि सम्मेलनक अध्यक्षता आ संचालन छत्रानंद झा “बटुक भाई” केलनि. तीन दिवसीय एहि कार्यक्रम केर दोसर दिन सांस्कृतिक कार्यक्रम ओ तेसर दिन नाटक मृत्युंजया केर मंचन भेल.

कलकत्ता: मिथिला सांस्कृतिक परिषद् आने बरख जकां एहू बरख विद्यापति विद्या मंदिर मे कार्तिक धवल त्रयोदशी कें स्मृति संध्याक आयोजन केलक. कार्यक्रम केर संचालन मिथिलेश कुमार झा कएलनि. कार्यक्रम मे भास्कर झा, गंगा झा, नबोनारायण मिश्र, प्रकाश झा आदि उपस्थित छलाह. उपस्थित वक्ता लोकनि विद्यापति पर अपन उदगार व्यक्त केलनि. 

एकर संगहि मिथिला विकास परिषद् केर कार्यकर्ता लोकनि गिरीश पार्क मे स्थापित मूर्ति पर माल्यार्पण केलनि. अंजय चौधरी, अरुण झा. अशोक झा भोली, बिनय प्रतिहस्त आदि लोकनि उपस्थित छलाह. ई लोकनि विद्यापति पर अपन उदगार व्यक्त केलनि. मिथिला महिला मंच केर सदस्या लोकनि सेहो एहि कार्यक्रम मे शामिल भेलीह.

विद्यापतिनगर: कविकोकिल विद्यापतिक प्रयाण स्थल समस्तीपुर जिलाक विद्यापतिनगर मे सेहो भव्य आयोजन कएल गेल. एहि अवसर पर बिहारक मंत्री ओ नेतागण उपस्थित छलाह. स्थानीय कलाकार द्वारा सांस्कृतिक अनुष्ठान भेल. विद्यापति ओ मैथिली भाखा पर विमर्श भेल. 

एकर अतिरिक्त दिल्ली, मुंबई, हैदराबाद, चेन्नई, कानपुर, गोहाटी, भुवनेश्वर सहित देश-विदेशमे विभिन्न ठाम विद्यापति समारोह केर आयोजन भेल. मुदा की विद्यापति वा हुनक देसिल बयना मैथिली पर सार्थक चर्चा भेल वा कोनो डेग उठल, जाहि सं भाखाक प्रसार-प्रसार हो. ई सोचबाक विषय अछि.

— पंकज चौधरी/नवकृष्ण ऐहिक  
Previous Post Next Post