कलाप्रेमीकें आकर्षित करैछ मिथिला पेंटिंग


कलकत्ता: मिथिला पेंटिंगक देश-विदेशमे बेस मांग अछि. मिथिलाक घर-घर पसरल ई कला आब कलाप्रेमीक पहिल पसिन बनि गेल अछि. कोनो प्रदर्शनी हो मिथिला पेंटिंगक स्टाल शाइते खाली देखबामे आओत. कलाक जखन बात अबै छै आ ताहि मे जओं पेंटिंगक बात करी त' मिथिला पेंटिंग देशक प्रतिनिधित्व करैए. 

आइ-काल्हि साल्टलेक सेन्ट्रल पार्कमे कारीगर हाट आयोजित अछि आ एतहु मिथिला पेंटिंगक स्टाल पर बेस जुटान देखबा मे आएल. स्टाल पर कलाकार भोला झा कहलनि जे नीक बिक्री छै पेंटिंग केर. ओ सपत्नी स्टाल लगओने छथि. कहलनि जे हुनक पत्नीक बनाओल पेंटिंग सभ अछि स्टाल पर. साडी, दुपट्टा, बेडकवर आदिक नीक कलेक्शन उपलब्ध छल. संगहि कागज़ पर प्राकृतिक रंग सं नाना तरहक पेंटिंग दिस लोक आकर्षित होइए. सात नवंबर सं सोलह नवंबर धरि आयोजित एहि हाटमे देश भरिक हस्तकलाक स्टाल सभ लागल अछि. कलाक प्रति कनियो आकर्षण हो त' ई हाट अपने लेल उचित स्थल भ' सकइए. कारीगर हाट केर ई नवम खेप अछि. हस्तकलाक प्रदर्शनीक संगहि एतय नित्य अलग-अलग लोक कलाकार द्वारा स्टेज परफोरमेंस सेहो होइए. हम जखन हाट घुमैत छलहूँ त' राजस्थानी कलाकार द्वारा कार्यक्रम प्रस्तुत कएल जा रहल छल. लोकक बेस जुटानी देखल गेल. दुपहरिया बारह बजे सं राति आठ बजे धरि हाट फुजल रहैत अछि. 


एआइएम द्वारा आयोजित ई हाट एक दिस लोक कें कलाक प्रति चेतना जगयबाक काज करैए त' दोसर दिस प्रकृति सं जुडबाक संदेश देइत अछि. ई कलाकार कें अपन उत्पाद बेचबाक नीक प्लेटफ़ार्म उपलब्ध करबैत अछि.

— नवकृष्ण ऐहिक 
Previous Post Next Post