'संपर्क'मे चन्दनकें देल गेलनि बधाइ


कलकत्ता: प्रत्येक मासक दोसर रविकें होमयवला साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' आइ नवीन प्रकाशन कार्यालयमे सांझ पांच बजेसं आयोजित भेल. गोष्ठीक अध्यक्षता युवा मैथिल एक्टिविस्ट रोशन चौधरी केलनि. साहित्यकार चन्दन कुमार झा, मिथिलेश कुमार झा ओ आमोद कुमार झा कविता पढ़लनि. एकर अतिरिक्त रत्नेश्वर झा, दयाशंकर मिश्र ओ रूपेश त्योंथ सेहो उपस्थित छलाह. रचना सभ पर त्वरित टिप्पणी प्रस्तुत कएल गेल. 


एहि गोष्ठीक दोसर सत्रमे कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान प्राप्तिपर चन्दन कुमार झा कें बधाइ देल गेलनि. चंदनजी केर साहित्य यात्रा पर इजोत देइत वक्ता लोकनि हुनकामे साहित्यक अपार संभावनाक बात कहलनि. चंदनजी अपन लेखनकर्म लेल कोलकाता आ एतुक्का साहित्यिक क्रियाकलापक प्रति आभार व्यक्त करैत कहलनि जे ई हमर सबहक काजक मान्यता अछि. कलकत्ता सहित देश भरिमे विशाल संख्यामे मैथिली रचनाकार छथि आ हम मैथिली साहित्यमे अपार संभावना देखैत छी.

— मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post