'वेब पत्रकारिता ओ मैथिली' विषयक संगोष्ठी

कलकत्ता: वेब पर मैथिलीक उपस्थिति कम नै अछि. बहुत रास वेब पोर्टल मैथिली मे समाद प्रस्तुत क' रहल अछि. मिथिमीडिया 15 अगस्त 2012 सं लगातार एहि क्षेत्र मे काज क' रहल अछि. काल्हि मने रविकें बेरूपहर 3 बजेसं मिथिमीडिया द्वारा 'वेब पत्रकारिता ओ मैथिली' विषय पर संगोष्ठी आ कविगोष्ठी आयोजित अछि. 


संगोष्ठीक आयोजन विद्यापति सदन, झीलबगान, बागुइआटी (निकट 30सी बस स्टॉप) मे अछि. कार्यक्रमक पहिल सत्रमे वेब पत्रकारिता पर न्यू मीडिया एक्सपर्ट लोकनि अपन विचार प्रकट करताह. संगहि कविगोष्ठी मे महानगरक मैथिलीक लोकप्रिय कवि लोकनि द्वारा कविता पाठ होयत.

ज्ञात हो जे एहि विषयक संगोष्ठी पहिल खेप आयोजित भ' रहल अछि. कार्यक्रममे प्रवेश निःशुल्क अछि. बेस जनतब हेतु मोबाइल नंबर 9239415921 पर संपर्क कएल जा सकैत अछि.
Previous Post Next Post