देवशंकर नवीन कें साहित्य सौहार्द सम्मान

लखनऊ: उत्तर प्रदेश हिंदी संस्थान द्वारा डॉ. देवशंकर नवीन कें साहित्य सौहार्द सम्मान देबाक घोषणा भेल अछि. भारतक विभिन्न प्रांत ओ क्षेत्रीय भाखा कें साहित्य सृजन ओ अनुवाद द्वारा सौहार्द सूत्र मे जोड़बाक लेल ई पुरस्कार देल जाइत अछि. एहिमे दू लाख टाकाक पुरस्कार शामिल अछि. 

ज्ञात हो जे डॉ नवीन मैथिली आ हिन्दी दुनू भाखा मे पीएचडी केने छथि आ सम्प्रति जेएनयू मे प्रोफेसर छथि. ई विभिन्न भाखा ओ विधा केर 60 सं बेसी पोथी लिखने छथि. मैथिली मे हिनक 'चानन काजर', आधुनिक साहित्यक परिदृश्य, हाथी चलय बजार, मैथिली साहित्य : दशा, दिशा, सन्दर्भ सहित कतिपय संपादित पोथी आबि चुकल अछि. मिथिमीडिया दिस सं हिनका बधाइ.
Previous Post Next Post