मिथिला कल्याण परिषदक 32म वार्षिकोत्सव रविकें


कोलकाता : मिथिला कल्याण परिषद आगामी रवि मने 16 नवम्बर 2014कें रवीन्द्र भवन रिषड़ामे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केर आयोजन केलक अछि. परिषदक ई 32म आयोजन अछि. कार्यक्रम सांझ 4.30 बजेसं होयत. एहि अवसर पर लेखक-निर्देशक शम्भूनाथ मिश्र केर नाटक 'मिथिलाक अभिशाप' केर मंचन होयत. एहि संग सांगीतिक अनुष्ठान सेहो आयोजित अछि. अंजना इस्सर ओ रोशन कुमार झा द्वारा गीत-संगीत केर कार्यक्रम होयत. जनार्दन ओझा ओ हुनक सहयोगी लोकनिक संगीत सं अनुष्ठान सजत.

ई नाटक मिथिलाक अभिशाप दहेज रूपी महादानवक कट्टर विरोधी अछि जाहिमे लेखक ओ निर्देशक शंभूनाथ मिश्र प्रत्येक चरित्रकें मनोरंजनात्मक एवं व्यंग्यात्मक ढंगसं मिथिलाक अभिशापकें उघार करबाक सचेष्ट प्रयास कयलनि अछि एवं मिथिलाक नारीकें परदाक पाछूसं एवं घोघ तरसं हटा पुरुष समाजक बनाओल प्राचीन प्रारंभिक दहेजक दलान पर मरल प्रबुद्ध सामाजक बीच आनि एकटा क्रान्ति करबाक चेष्टा कयलनि अछि. एहिमे भाग लेबय बला प्रमुख कलाकार छथि स्वयं शंभूनाथ मिश्र, श्रीमती शशिता राय, दिनेश मिश्र, संजय ठाकुर, केदारनाथ साह, सुधीर झा, रमेश मिश्र, पीयूष कुमार, दिलीप चौधरी, विनय चौधरी एवं अन्यान्य.
Previous Post Next Post