श्रावणी आश्रम पोखरि पर छठि मइयाक अराधना


हावड़ा (बेलूर): जनास्थाक पर्व छठि पर मिथिला सेवा समिति चैरिटेबल ट्रस्ट दिस सं बेलूर केर श्रावणी आश्रम पोखरि पर बेस इंतजाम कयल गेल छल. आने बरख जंका एहू बरख समिति छठि कें धियान मे रखैत पोखरिक साफ़-सफ़ाइ कएलक मिथिला सेवा समितिक अध्यक्ष राजीव रंजन मिश्र जनओलनि जे ई पर्व मैथिल सहित आन-आन समुदाय कें लोक सभ सेहो मनबैत छथि. सेवा भावना कें प्राथमिकता द' ट्रस्ट आठ बरख सं छठि पर पबनैतिन सभ केर सुविधाक धियान रखैत अछि. बेलूर केर श्रावणी आश्रम पोखरि पर सांझुक आ भोरका अर्घ्य केर अवसर पर वातावरण बेस भक्तिमय रहल. विदित हो जे मिथिला सेवा समिति चैरिटेबल ट्रस्ट आ सहयोगी संस्था मिथिला सेवा समिति,कोलकाताक उपनगरीय क्षेत्र बेलूर मे विगत 27 साल सँ  अहि तरहक अनेकानेक काज मे लागल अछि.


एहि अवसर पर ट्रस्टक चेयरमैन दिनेश मिश्र, समितिक अध्यक्ष राजीव रंजन मिश्र सहित पूर्व अध्यक्ष भवनाथ झा, प्रदीप कुमार झा, एस एन ठाकुर, संजय झा, सुमन झा, मोहन चौधरी, रामचन्द्र झा, सुरेश राय, राघवेन्द्र झा, शैलेश चौधरी, भरत झा,  बिनय भूषण, प्रकाश झा, चन्दन कुमार झा ओ अन्यान्य लोकनि उपस्थित छलाह.

श्रावणी आश्रम पोखरि छठिक किछु फोटो :



Previous Post Next Post