चन्दनकें कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान


पटना : चेतना समिति, पटना द्वारा देल जाएवला कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान चन्दन कुमार झा कें देल जयबाक घोषणा भेल अछि. वर्ष 2014 लेल ई पुरस्कार हिनका कविता संग्रह "धरतीसं अकासधरि" लेल देल जेतनि. ई सम्मान मैथिली मे समकालीन आधुनिक बोधक उत्कृष्ट मौलिक कृति पर 2008 सं प्रतिवर्ष देल जाइत अछि. चन्दनक नाम पर तीन सदस्यीय निर्णायक मंडलक सहमति सं ई घोषणा भेल अछि. निर्णायक मंडल मे बिभूति आनंद, प्रदीप बिहारी ओ चंद्रेश छलाह.

चेतना समितिक तत्वावधान मे आयोजित 61म विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे 4 नवंबर 2014 कें चन्दन कुमार झा कें सम्मानित कएल जेतनि. एहि सम्मानक अंतर्गत एगारह हजार नगदक संग प्रतीक चिह्न, प्रशस्ति पत्र व अंगवस्त्र प्रदान कएल जाइत अछि. 

मिथिमीडिया दिस सं चन्दन कुमार झा कें बहुत रास बधाइ. ज्ञात हो जे चन्दन 2012-13 मध्य मिथिमीडियाक कार्यकारी संपादक रहल छथि आ सामग्री योगदानकर्ताक रूप मे एखन धरि जुड़ल छथि.
Previous Post Next Post