मैथिली कवियित्री लोकनि द्वारा कविता पाठ


कलकत्ता: सुप्रसिद्ध लेखक हरिमोहन झा केर स्मृति मे मिथिला विकास परिषद रविदिन साँझ जनसंसार सभागार मे काव्य संध्याक आयोजन कएलक. कार्यक्रम मे 10 गोट कवियत्री स्वरचित कविता पाठ केलनि. मात्र महिला रचनाकार लोकनि कविता पढ़लनि. काव्य संध्याक आयोजन सँ पहिने "आधुनिक मैथिली कविता, कोलकाता आ महिलाक भूमिक" विषय पर परिचर्चा सेहो भेल. परिचर्चाक अध्यक्षता मिथिला विकास परिषद अध्यक्ष ओ साहित्य अकादेमी मैथिली परामर्शदात्री समितिक पूर्व सदस्य अशोक झा केलनि. कार्यक्रमक सञ्चालन अंजय चौधरी केलनि. एहि अवसर पर गीतेश शर्मा, रामलोचन ठाकुर, प्रफुल्ल कोलख्यान, भवनाथ झा अपन विचार प्रकट केलनि.

काव्य संध्याक अध्यक्षता मिथिला महिला मंचक अध्यक्ष श्रीमती शैल झा आ सञ्चालन श्रीमती रूपा चौधरी केलनि. हिनका दुनूक अलावे कुमारी नेहा झा, कुमारी अमृता झा, पूजा मिश्रा, प्रिया झा, नयना इस्सर, श्रीमती किरण इस्सर, श्रीमती रुना चौधरी, अंजना इस्सर अप्पन कविता प्रस्तुत केलनि. कार्यक्रम में रघुनाथ चौधरी, कृष्णचन्द्र झा "रसिक", उमा कांत झा बक्शी", पंडित नन्द कुमार झा, कामेश्वर झा 'कमल', बिनय कुमार प्रतिहस्त, रमेश झा उपस्थित छलाह.  (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post