कोकिल मञ्च मनाओत सिल्वर जुबली वर्ष

कलकत्ता: अग्रणी नाट्य संस्था कोकिल मञ्च 25 बरख पूरा करबाक अवसर पर वृहद नाट्य आयोजन करय जा रहल अछि. एहि कें ल' स्थानीय कलकत्ता पब्लिक स्कूल मे  रविदिन साँझ एक सभाक आयोजन कएल गेल. कार्यक्रमक रूपरेखा आ आयोजन पर विमर्श कएल गेल. शिक्षाविद भोगेन्द्र झा केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि सभा मे जीवेन्द्र मिश्र, गंगा झा, अरुण सिंह, किरण झा, सुधाचन्द्र झा, रंजीत कुमार झा 'पप्पू' सहित अनेक नाट्यप्रेमी लोकनि उपस्थित छलाह.

नाट्य निर्देशक गंगा झा मिथिमीडिया कें जनओलनि जे आगामी 31 जनवरी 2015 ओ 1 फरवरी 2015 कें दू दिवसीय नाट्य कार्यक्रमक आयोजन स्थानीय विद्यामंदिर प्रेक्षागृह मे होयत. तीन गोट नाटक होयब प्रस्तावित अछि जाहि मे कोकिल मञ्च सहित आनठाम केर नाट्यदल द्वारा नाटकक मंचन होयत. कार्यक्रम केर विस्तार वा परिवर्तन सेहो संभव अछि.  (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post