गीतगाइन प्रतियोगिताक अनुपम आयोजन


कलकत्ता: मिथिला विकास परिषदक महिला शाखा मिथिला महिला मंच द्वारा रविदिन 31 अगस्त कें गीतगाइन प्रतियोगिता आयोजित भेल. प्रतियोगिताक आयोजन महाजाति सदन केर संयुक्तभवन प्रेक्षागृह मे संपन्न भेल. भूतनाथधाम केर प्रधान पुजारी स्व. महिपाल ठाकुर केर स्मृति मे मंचक नाओ राखल गेल. कार्यक्रम सं पहिने स्व. महिपाल ठाकुर, स्व. शशिदेव झा, दिवंगत साहित्यकार स्व. ज्योत्स्ना चन्द्रम, स्व. निर्भय मल्लिक केर स्मृति मे किछु क्षणक मौन राखि श्रद्धा अर्पित कएल गेल. कार्यक्रमक अध्यक्षता श्रीमती शैल झा ओ संचालन श्रीमती रूपा चौधरी केलनि.
मैथिली लोकगीत पर आधारित प्रतियोगिता मे कुल 24 प्रतिभागी भाग लेलनि, जाहि मे सं नयना इस्सर प्रथम, भावना प्रतिहस्त द्वितीय, सुमन ठाकुर तृतीय तथा दिव्या ओ प्रिया चौधरी कें सांत्वना पुरस्कार देल गेल. कार्यक्रम मे सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय सहित अशोक झा, उद्योगपति कामदेव झा, नेपालक वाइस कांसुलेट जनरल सुरेन्द्र थापा, प्रो सोमा बनर्जी, दिनेश सिंह नेपाली उपस्थित छलाह. एकर संगहि प्रेक्षागृह मे दर्शक खचाखच भडल छल.
(Report/Photo: प्रकाश झा)
Previous Post Next Post